Movement Strategy/Recommendations/Coordinate Across Stakeholders/mai

What
हमसब वर्तमान केर बढ़ाएब तथा नव सङ्गठनात्मक ढाँचा आ प्रथासभ केर स्थापित करब जे अप्पनसभक अभियानक सम्पूर्ण हितधारकसभ आ उद्देश्य साझा करऽ वला साझेदारसभक सङ्ग सूचनासभक व्यापक विनिमय, सीख, ज्ञानक हस्तान्तरण तथा समन्वय केर अवसर सुनिश्चित करैत अछि। संसाधनसभक समन्वय केनाए आ ई सुनिश्चित करि ई निर्णय लेनाए न्यायसङ्गत अछि, एहि संरचनासभ तथा प्रथासभसँ अप्पनसभक अभियानमे बेहतर संलग्नता, तीव्र प्रतिक्रिया तथा अधिक समर्थनक सुविधा प्राप्त होएत।
Changes and Actions
- ओकालत, क्षमता निर्माण, साझेदारी, उत्पाद आ प्रौद्योगिकी जका विशिष्ट गतिविधिसभक लेल स्पष्ट जिम्मेदारीसभ आ अपेक्षित क्षमतासभ केर परिभाषित कर वला साझा दस्तावेज बनाबी आ ओकरा उद्यतित राखी। ई दस्तावेज साझा मूल्य, आवश्यकता, सिद्धान्त आ जवाबदेही केर दर्शाएत आ विकास तथा समावेशिता केर सुविधाजनक बनाएत।
- तकनीकी योगदानकर्तासभक सङ्गे आ ओकर बीच सञ्चार आ सहयोगक लेल स्थान बनाबी जहि सँ हमर काम तथा बुनियादी ढाँचा केर स्थिरताक पैमाना तथा प्रभाव केर बढ़ाएल जा सकै:
- एहन विशिष्ट विषय-सामग्री क्षेत्रक कार्यप्रवाह पर जहिमे उपकरण, अद्यतन आ सुधारक आवश्यकता होए, साझेदारसभ तथा दोसर सहयोगीसभक लेल एक स्थान बनाबी।
- तृतीय पक्षक विकासकर्तासभक लेल प्रतिभागिता आ सञ्चारक कोनो स्थान बनाबी।
- मुख्य बाधासभ केर पहचानी तथा हल करी जहि सँ आधुनिक प्रौद्योगिकीसभ पर सहयोगात्मक कार्यक लेल रास्ता बनि सकै, नव अन्तरमोहडा बनै तथा अप्पन सभक प्रयोक्ता अनुभवमे सुधार आबि सकै।
- विकिमिडिया मञ्चसभ एवं उपकरणसभ पर नव कार्यक्षमतासभ शुरू करवाक लेल प्रक्रियासभ स्थापित करवाक लेल कयन प्रौद्योगिकी परिषद बनाबी। एकर उद्देश्य कर्मचारी विकासकर्तासभ तथा अन्य तकनीकी योगदानकर्तासभक बीच बेहतर नेटवर्कक लेल सञ्चारमे सुधार केनाए, नवाचार केर समन्वित केनाए, सहयोग प्रदान केनाए तथा प्राप्त केनाए, तथा एहन निर्णय आ संसाधन आवन्टन पर विचार प्राप्त केनाए छी जे समुदायसभ पर प्रभाव डालैत होए।
- प्रतिक्रिया प्राप्त करवाक लेल विकासक आ समुदायक बीच सञ्चार च्यानल आ स्थानमे सुधार केनाए आ साथे साथ सलाह सुझाव, प्रशिक्षण, आ कोड समीक्षा आ दस्तावेजीकरण लेखनक आयोजन, आ अन्य केर लेल प्रक्रिया बनाबी।
Rationale
विभिन्न हितधारकसभक भूमिकाक बारेमे स्पष्टताक अभाव, अप्रभावी सञ्चार च्यानल, आ अलग-अलग प्राथमिकता प्रणालीसँ टकरावक मुद्दा, धारणा जे बिना परामर्शक निर्णय लेल जाइत अछि, आ एकताक अभाव उत्पन्न भेल अछि। स्वयंसेवक समुदाय आ अप्पन सभाक अभियानक अन्य भागक बीच समझ आ संलग्नतामे सुधार लेल ध्यान, संसाधन, आ सहायक संरचनासभ स्थापित करबाक आवश्यकता अछि।
बहुत रास महत्वपूर्ण सफ्टवेयर परिवर्तन बिना परामर्शक लेल जाइत अछि आ एहि लेल परियोजनामे खरीद-फरोख्त आ समझक अभाव अछि। समुदायक स्वयंसेवक, तकनीकी योगदानकर्ता, भागीदार, आ विकासकर्ताक सङ्ग अपर्याप्त समर्थन आ अप्रभावी संवादक कारणेँ समन्वयक ई कमी बेसी खराब भs जाइत छैक। हुनका सभकेँ प्रायः अपन उपकरणक रखरखाव आ सुधारक मामलामे अपन विवेक पर छोड़ि देल जाइत छैक, आ उपयोगकर्तासभ आ भागीदार दुनूकेँ बहुत बाधासभक अनुभव भऽ सकैत छैक (उदाहरणक लेल सामग्री साझा करैत काल)। प्रौद्योगिकी परिषद जका केन्द्रीय संरचनाक स्थापना नव तकनीकक विकास पर ध्यान केन्द्रित आ समन्वयक मार्गदर्शन कऽ सकैत अछि। तहिना क्षेत्रीय आ विषयगत संरचनासभ बेसी स्पष्टता आ साझा समझक सङ्ग विविध अभियान हितधारकसभक बीच समन्वयकेँ सुगम बनाए सकैत अछि।
समान सामयिक रुचिके लोक सभकेँ जोड़बाक लेल नीक तन्त्रक आवश्यकता अभियानक सम्पूर्ण स्तर पर आ अप्पन सभक भागीदारसभक सङ्ग स्पष्ट अछि। समन्वयक महत्व बेसी प्रासङ्गिक भऽ जाएत जेना-जेना अप्पन सभक आन्दोलन पैघ आ बेसी विविधतासँ बढ़ैत जाएत, आ समाधानक सृजनसँ अपना सभ जे निःशुल्क ज्ञानक निर्माण आ साझा कऽ सकैत छी ओकर मात्रा आ गुणवत्तामे अनेक गुणा प्रभाव पड़त।