अभियान रणनीति/अद्यतन/अनुवाद
अभियान रणनीति साप्ताहिक केर अनुवाद करी

सन् २०२२ फरबरीसँ आरम्भ भऽ अभियान रणनीति साप्ताहिक' विभिन्न अभियान रणनीति पन्ना पर देखाएल जा रहल अछि। ओहि उद्यतनमे महत्वपूर्ण घोषणा, प्रतिवेदन आ भागीदारी केर आह्वान अछि जे समुचा विकिमिडिया अभियानक लेल प्रासङ्गिक अछि । तेँ एहि जानकारीकेँ बेसी सँ बेसी भाषामे उपलब्ध करेनाए आवश्यक अछि। यदि अहाँक पास ज्ञान आ इच्छाशक्ति अछि तँ हम अहाँक आमन्त्रित करैत छी जे हमरा सब केर बेसी सँ भाषामे एकरा अनुवाद करवाक लेल मदति करी!
अद्यतन की अछि?
अभियान रणनीति उद्यतन अपन विषय पर नवीनतम जानकारी धरि पहुँचबाक लेल एकटा केन्द्रीय स्थानक रूपमे अछि। उद्यतन मात्रे क्लिक करल जाय वला प्रमुख शीर्षक बनल होय छै जे वर्तमान पन्ना (मेटा, विकिमिडिया परियोजना या बाहरी वेबसाइट पर)सँ जुड़ल रहैत अछि। कडी करल गेल पन्ना केर सामग्री ओ उद्यतन केर भाग नहि छी।
अनुवाद कतय करब?
एकटा निश्चित मासक दौरान जे कोनो अभियान रणनीति उद्यतन प्रकाशित होइत अछि, ओकरा एकटा मेटा पृष्ठ पर राखल जाइत अछि। ओहि पृष्ठ पर अनुवादित सामग्री बहुत रास अभियान रणनीति पृष्ठ पर देखायत, जाहिमे ई स्वचालित रूपसँ वा मैन्युअल रूपसँ उद्धृत कयल जाइत अछि | एहि मासक सामग्री पृष्ठ देखबाक लेल एतय क्लिक करी
अनुवादक लेल केहन सहायता उपलब्ध अछि?
जँ अहाँ नियमित रूपसँ अपन भाषामे उद्यतन अनुवाद करय चाहैत छी, तँ' कृपया अभियान रणनीति अनुदान पर आवेदन करबा पर विचार करी। अनुवादकक लेल समर्थन प्राप्त करयक लेल अहाँ या त व्यक्तिगत रूपसँ या समूह केर रूपमे आवेदन करि सकैत छी।